Wednesday, March 23, 2016

हम स्नेहक पात पर .......( मैथिली )

हम स्नेहक पात पर
सौगात ल क            
आयल छी ,
चैत के चंचल हवा
आर
कुसुमी रंग
ल आयल छी .....
हम किरण असमान सँ
धरती सँ
दूभी -धान  लय
गीत सागर के लहर सँ
भ्रमर सँ
मधुपान लय......
खीच क मधु
यामिनी सँ , चाँदनी सँ
ज्योत्स्ना
झिलमिलाहट हम
तरेगन सँ उड़ा
ल आयल छी .......
हम स्नेहक पात पर
सौगात ल क
आयल  छी .......
रंग गुलाल , अबीरक झोली
श्याम संग
कनुप्रिया के होली
खेलि रहलि छथि
बारि - दुआरि
हर्ष उमंगक
रस में घोली,
अनुपम छवि सँ
प्रीति माँगि कय
आज एतय
ल आयल छी ......
हम स्नेहक पात पर
सौगात ल क
आयल  छी ........
फाग मचल , उमगल
अंगना - घर
धूम उठल रसिया के
रघुबर कर पिचकारी
भरल अछि
रंग सँ अंग सिया के.....
अद्भुद रूप छटा
सम्मोहन
वैह फुहार ल
आयल छी ......
हम स्नेहक पात पर
सौगात ल क
आयल छी ......
चैत के चंचल हवा
आर
कुसुमी रंग
ल आयल छी......    

9 comments:

  1. आपकी इस प्रस्तुति का लिंक 24-03-2016 को चर्चा मंच पर चर्चा - 2291 में दिया जाएगा
    धन्यवाद

    ReplyDelete
  2. This comment has been removed by the author.

    ReplyDelete
  3. बहुत नीक खूब सुन्दर होली के अनंत शुभकामवा

    ReplyDelete
  4. This comment has been removed by the author.

    ReplyDelete
  5. This comment has been removed by the author.

    ReplyDelete
  6. बहुत सुन्दर ...
    होली की शुभकामनाएं!

    ReplyDelete
  7. रंगोत्सव के पावन पर्व पर हर्दिक शुभकामनायें...सार्थक प्रस्तुति...

    ReplyDelete