Monday, August 8, 2022

मैथिली में ..

 मैथिली में ..


इ दिल्ली छैक

एतय ठामे-ठामे

इतिहासक पृष्ठ

खुजल भेटत..


चाँदनी चौक,जामा मस्जिद

लाल किला

जंतर-मंतर, राज घाट 

मजनूँ के टिला..


अमीर खुसरो, हजरत निज़ामुद्दीन के 

दरगाह

बिड़ला मन्दिर, हुमायूँ टुंब

क़ुतुब मिनार वाह !..


बड़का लोग

छोटका  लोग

दर्जे-दर्जे 

मिडिल क्लास..


रंग-रंग के 

क्रीड़ा-कौतुक 

डेगे-डेगे

उमंग-उल्लास ..


इ दिल्ली छैक

सर्वोच्च सिंघासन पर बैसल 

देशक 

राजधानी ..


आँखि फोईज क 

देखैत चलू

बुझबैत चलू 

जिज्ञासा ..


नाना रंग पोशाक 

पहिरने 

भाँति-भाँति के 

भाषा .